विद्यापति मंच, सिलीगुड़ी के प्रतिभा सम्मान समारोह

दिनांक 2 अक्टूबर के सिलीगुड़ी में विद्यापति मंच के तरफ स पहिल बेर प्रतिभा सम्मान समारोह के आयोजन कैल गेल । ई आयोजन केर शुरूआत मुख्य अतिथि बिपिन गुप्ता आ भरत प्रसाद गुप्ता  केर संग के एन झा, बबीता झा महाकवि विद्यापति चित्रक संगे महात्मा गांधी आ लाल बहादुर शास्त्री  के समक्ष दीप प्रज्वलित करैत पुष्प अर्पित कैलाह । एकर बाद मिथिला परंपरा के अनुसार देवी गीत ‘ जय जय भैरवी असुर भयावनी’ के नृत्यक प्रस्तुति हंशिका झा द्वारा कैल गेल ।

ई सम्मान समारोह में दसवीं आ बारहवी केर बच्चा सभ के मेडल आ प्रशस्ति पत्र दअ कअ सम्माानित कैल गेल अछि । एकर मुख्य संयोजक बबीता झा कहलखिन्ह जे ई तरहक आयोजन मंच द्वारा पहिल बेर कैल गेल अछि । हमर कोशिश रहत जे हर साल प्रतिभा सभ के सम्मानित कअ क उत्साह बढाबि । जाहि में सभक सहयोग अपेक्षित अछि । बबीता झा कहलि जे मंच के प्रयास अछि आ हम सभ लोकनि यथासंभव मेधावी बच्चा सभ के हर संभव मदद कैल करि ।