शताब्दी के मेगास्टार अमिताभ बच्चन 50 बरख स बेसी स फिल्म इंडस्ट्री में छथि आ एखनो दर्शक के लगातार मनोरंजन क रहल छथि । मेगास्टार एखन धरि 200 स बेसी फिल्म मे काज क चुकल छथि । मुदा की अहां के बुझल अछि जे बेसी सिनेमा में महानायक के नाम विजय रहल अछि ।
अमिताभ के बात करी त सब हुनका बारे में सभ कियो जानय चाहैत अछि । हम हुनका सँ जुड़ल एकटा कथा सुनाबय जा रहल छी । ओना त हुनका सँ जुड़ल सभटा कथा मीडिया मे अबैत रहैत अछि ।अमिताभ स महानायक तक हुनकर यात्रा बड्ड पैघ रहल अछि । बिग बी अपन कैरियर मे बहुत रास शानदार किरदार निभा चुकल छथि । एहने एकटा पात्र अछि जंजीर में हुनकर इंस्पेक्टर विजय खन्ना के । जतअ स महानायक कए अपन असली पहचान भेटल । आ तकरा बाद ओ कहियो पाछू नय तकलाह । बताबी जे जंजीर के बाद ओ 20 स बेसी फिल्म मे विजय के किरदार निभौलनि । एहि नाम हुनका लेल बड्ड भाग्यशाली साबित भेल ।
खैर हुनकर फिल्म के नाम बता रहल छि जाहि मे हुनकर नाम विजय रहल अछि ।
1-जंजीर-इस्ंपेक्टर विजय खन्ना
2-निशब्द-विजय
3-आंखे-विजय सिंह राजपूत
4-एक रिश्ता द बॉंड लव-विजय कपूर
5-अकेला-इसपेक्टर विजय वर्मा
6-अग्निपथ- विजय दीनानाथ चौहान
7-शहंशाह-विजय कुमार श्रीवास्तव
8-आखिरी रास्ता-विजय
9-शक्ति-विजय कुमार
10-शान-विजय कुमार
11-दोस्ताना- विजय वर्मा
12-दो और दो पांच-विजय
13-काला पत्थर-विजय पाल सिंह
14-द ग्रेट गैम्बलर-इंस्पेक्टर -विजय
15-त्रिशूल- विजय कुमार
16-डॉन -विजय
17-हेरा फेरी- विजय
18-रोटी कपड़ा और मकान- विजय
19-गंगा- ठाकुर विजय सिंह
20-रण -हर्षवर्धन मलिक
21-दीवार-विजय वर्मा
22-गंगोत्री -जे भोजपुरी फिल्म गंगा के सीक्वल छल
मीडिया रिपोर्ट पर विश्वास कैल जाए त बॉलीवुड मे एकटा रिवाज अछि, जे कोनो फिल्म स्टार के कोनो नाम सं फिल्म सफल भ जाएत , त अगिला फिल्म मे सेहो हुनकर नाम पुरनका राखल जाएत अछि । एहि कारणे हुनकर बेसी सिनेमा में नाम विजय रहेन ।