मिथिला केर पतोह आ सामाजिक कार्यकर्ता अनुराधा सिंह एहि बेर बेनीपट्टी विधानसभा स प्लूरल्स पार्टी केर उम्मीदवार छथि आ नामाकंन दाखिल केली । अनुराधा कलुआही के रहय वला छथि । ओतय बीजेपी (एनडीए) स पूर्व विधायक विनोद नारायण झा आ कांग्रेस (महागठबंधन) स वर्तमान विधायक भावना झा कि टिकट भेटलेन ।
नामाकंन केलाह पर अनुराधा बहुत उत्साहित छथि । आ कहलखिन्ह पार्टी हुनका पर विश्वास कएलखिन्ह आ ओ जनता के विश्वास पर खरा उतरथिन्ह । संगे सभ के धन्यवाद देलखिन्ह । अनुराधा सिह कहलीं जे ओ मिथिला के पुतोह छथि आ पूरा दुनिया में एकर मान सम्मान अछि । मिथिला के एकटा अपन विरासत छय़ । जेकरा फेर स्थापित केनाय हुनकर प्राथमिकता छैन । महिला केर सशक्तिकरण आ शिक्षा पर बेशी काज करय केर जरूरत अछि । ओतय हुनकर कहनाम छैन कि बच्चा सभ केर स्वास्थ आ शिक्षा पर से हो ध्यान देबअ के जादे जरूरत अछि । अनुराधा के कहनाम छैन जे हुनकर पार्टी के प्रयास रहतेन जे पलायन एकदमे नय होई । बिहारी सभ अपन सम्मान आ गौरव के संगे अपन गांव में परिवार-समाज संगे रहेत । जेकरा खातरि हरसंभव प्रयास कैल जाएत ।