नय रहला शेन वार्न

ऑस्ट्रेलिया केर महान गेंदबाज पूर्व स्पिनर शेन वॉर्न नय रहला । हुनकर 52 बरख के उम्र में निधन भअ गेलेन । कहल जा रहल अछि जे हुनका दिल दौरा पड़लेन जकरा सअ आब ओ हमरा सभ के बीच नय रहला । वॉर्न के जन्म 13 सितंबर 1969 कअ ऑस्ट्रेलिया केर विक्टोरिया में भेल रहेन ।

करियर

टेस्ट- शेन वॉर्न 1992 में ऑस्ट्रेलिया के लेल अंतरराष्ट्रीय क्रिकेट में पहिल बेर टेस्ट मैच खेलाएल रहला । ओ अपन पहिल टेस्ट मैच भारतक खिलाफ खेलने रहैत । आ अपन अंतिम टेस्ट मैच जनवरी 2007 में इंग्लैंड के खिलाफ खेलाएल रहैत । वॉर्न 145 टा टेस्ट मैच में 708 विकेट लेने छलाह ।

वनडे1993 में न्यूजीलैंडक खिलाफ अपन पहिल वनडे मैच खेलने रहैथ । आ 194टा वनडे मैच में 293 विकेट लेने छलाह । बाकी प्रथम श्रेणी क्रिकेट में वॉर्न 1319 विकेट लेने छलाह।

शेन वॉर्न के तीन टा बच्चा छैन । आ हुनकर ब्याह 2005 में सिमोन कैलहन सअ भेल रहेन । आ 10 बरख बाद अलग भ गेलाह ।  

हुनकर निधन सअ पूरा क्रिकेट जगत में शोक अछि ।

error: Content is protected !!