सत्तुआक स्वास्थ्य लाभ
सत्तू आबि खाली बिहारक नय मुदा पूरा देश में फेमस भअ गेल अछि । ई खाली अपने देशे में नय विदेशों में बड्ड प्रचलन में आबि गेल अछि । विदेश में से हो बड्ड ठाम सत्तू के सेवन शुरू भअ गेल अछि । गर्मी आबैत देरी एकर मांग बेशी बढ़ि जाएत अछि और एकर खाली पीबैय में नय औरो तरहक व्यंजन बनाओल जाएत अछि । अपन देशक बात करू त ई खास कअ यू.पी., बिहार आ झारखंड में बेशी प्रसिद्ध अछि । मुदा आबि ई दूसरो सभ जगह प्रसिद्ध भअ गेल अछि । जतय एकर बहुत रास स्वादिष्ट व्यंजन सेहो बनैत अछि । सत्तू के एतेक पसंद करअ के कारण खाली एकर स्वादे नय, बल्कि स्वास्थ्य के अनमोल लाभक कारण सेहो अछि जेकरा बारें में आगू बात कएल जाएत । सत्तू चना, जौ आ मटर स बनाएल जाएत अछि । धीरे धीरे सत्तू के मांग बढ़ैत जा रहल अछि ।
गर्मी के समय सत्तू के सेवन केनाय बड्ड फायदा कारक होइत अछि । गर्मी स बचाबय में सत्तू बड्ड लाभदायक होएत अछि । सत्तू सअ गर्मी कें झटका कें खतरा कम भ जायत छै, कियाक इ शरीर कें ठंडा करैत छय । सत्तुआक प्रभाव शीतल होइत छैक । जेकरा कारण स ई शरीरक तापमान कम करअ में फायदा करय छय । सतुआ बेसी गर्मी आ गर्मी के लहर के ठंडा कअ शरीर के बेसी गरम होबय स रोकी सकय अछी । एहन मानल जाएत अछि जे एकरा सं सर्दी, खांसी आ बलगम नहि होयत छय।
यदि ककरो बेर-बेर भूख लागैत अछि या फेर बेसी देर भूखल नहि रहि सकैत छी त सत्तू ओकरा लेल बड्ड फायदेमंद होएत अछि । एकरा खएला वा एकर शरबत पीलाक बाद बेसी देर भूख नहि लागै छय ।
भोरे भोर खाली पेट सत्तू पीनाई, पेट फूलनाई कम करय में से हो फायदेमंद होइत छय । इ सअ पेट में सूजन कम होएत छय आ पेट कें स्वस्थ राखय मे मदद भेटत अछि । सत्तू शरीर के हाइड्रेट करय में मदद करैत अछि जेकरा स शरीर पानिक कमी दूर होएत अछि आ शरीर में नमी बढ़ल रहैत अछि ।
सुतआ लिवर के से हो नीक करैत अछि । सत्तू प्रोटीन के नीक सोर्स अछि आ ई पेट के विकार के सेहो दूर करैत अछि । एकरा सेवन सअ लीवर मजबूत होएत अछि जेकरा सअ एसिडिटी आ गैसक समस्या सं से हो आराम भटैत अछि ।
सत्तू कब्ज के लेल रामबाण उपाय मान गेल अछि । कियाक सत्तू में फाइबर भरपूर होइत अछि, जेकरा कारण ई मल के ढीला करैत अछि आ कब्ज के समस्या स राहत दैत अछि। सत्तू आराम सअ पचि जाएत अछि ताहि चलते कब्ज नहि होइत छैक ।कब्ज के स्थिति में खाली पेट सतुआक सेवन केनाय बेसी फायदेमंद होइत अछि । एकरा सेवन से बवासीर के बीमारी दूर होइय छय ।
सत्तू मधुमेह के रोगी लेल से हो लाभकारी होइत अछि । जौ आ चना स बनल सत्तू मधुमेह के रोगी लेल बड्ड फायदेमंद अछि । एकरा पानि में घोल क या नमकीन बना क लेल जा सकैत अछि ।कम ग्लाइसेमिक इंडेक्स वाला भोजन होबअ के कारण सत्तू चीनीक लेवल नियंत्रित करय में मदद करय छय । ईहा नय बिना चीनी वला सत्तू के शरबत पीला सं ब्लड शुगर आ ब्लड प्रेशर नियंत्रण मे रहैत अछि।
सत्तू सं शरीर में तुरंत ऊर्जा भेटत अछि । अगर ककरो कमजोरी लागैत अछि त एकर सेवन सं ऊर्जा भेटत कियाकि एकरा मं तरह-तरह के पोषक तत्व होइत छै जे शरीर क॑ पोषण दईत छै । मानल जाएत अछि जे सत्तू में कैल्शियम, फास्फोरस, आयरन, सोडियम, आयरन, मैंगनीज, प्रोटीन, मैग्नीशियम होइत अछि जे अगर पानि में कनि नमक आ नींबू के संग मिला देल जाय त शरीर के तुरंत ऊर्जा दैत अछि आ हाइड्रेट करैत अछि ।
सत्तु मोटापा कम करय में से हो फायदेमंद अछि । चना में फाइबर भरपूर मात्रा में होइत अछि जेह वजन संगे कमर के चर्बी कम करय में मदद करैत अछि । सत्तू म॑ पोटेशियम आ मैग्नीशियम होय छै जे सं पेट फूलनाई कम होय अछि ई मेटाबॉलिज्म के बढ़ाबै छै आ कैलोरी बर्न करै म॑ मदद करय छय । जौ सं बनल सत्तू सं पाचन तंत्र कए सेहो सुचारू रूप सअ काज करबा मे मदद भेटैत अछि आ मोटापा कम भ जाइत अछि।
एतबे नय सत्तू सं वजन से हो बढ़एल जा सकैया । ई खातिर सत्तू के हलवा बना क खा सकैत छी।
सत्तू सं हाई ब्लड प्रेशर के समस्या में से हो निजात भेटय अछि ।
कोलेस्ट्रॉल कम करय में से हो सत्तू सं फायदा होएत अछि । ई कोलेस्ट्रॉल कम करय के प्राकृतिक तरीका अछि । कोलेस्ट्रॉल नस के रोकि सकैत अछि आ जानलेवा बीमारी जेना हार्ट अटैक, स्ट्रोक आ दिल के बीमारी के खतरा सेहो बढ़ा सकैत अछि । सत्तू रक्त वाहिका स गंदा कोलेस्ट्रॉल निकालैत अछि । एकरा लेल चना सत्तू खेबाक चाहि । सत्तुआ के एकटा विषमुक्त एजेंट मान गेल अछि जेकर काज आंत स विषाक्त पदार्थ के हटेनाय अछि । भोरे खाली पेट सत्तू खएला आ पिएला स शरीर सं सभ टा गंदगी दूर भ जाइत छय ।
ई त भेल सत्तू के फायदा के गप्प आउ आब जनैत छि एकरा से होब वला नुकसान के बारे में । सत्तू के नुकसान से हो होइत अछि। सत्तू में फाइबर बेसी होइत अछि जेकर एकर बेसी मात्रा भेलाह सं गैस, पेट फूलनाय, ऐंठन आ दस्त भ सकएय छै । तय लअ क पेट में गैस सँ पीड़ित व्यक्ति के सत्तुआक सेवन कम आ नियंत्रित मात्रा में करबाक चाही । बरखा के दिन में कम सेवन करवाक चाही । सत्तू खाइत काल बीच में पानि नहि पिबाक चाहि । सत्तू लाभकारी अछि एकर मतलब ई नय कि पूरा दिन सत्तू खेबाक चाहि । दिन में एक सं दू बेर एकर सेवन करवाक चाहि । जिनका पाथरक समस्या छनि हुनका चना सत्तूक सेवन नहि करबाक चाहि ।जिनका चना सँ एलर्जी होइत छनि आ चना पचाबय में दिक्कत होइत छनि हुनका सभ के सेहो सत्तू खाय सँ परहेज करबाक चाहि । लो ब्लड शुगर वला लोक के बेसी सत्तू के सेवन नहि करबाक चाहि । राइत में सत्तू खाय सँ बचबाक चाहि । एकटा गप्प अउर दूध संग सत्तू नय पिबाक चाहि ।
सत्तु के बड्ड विधि सं इस्तमाल कैल जाइत अछि । किछु लोक सभ शरबत पीबय छथि त किछु लोक सभ पराठा खाएत छथि । एकर उपयोग के बड्ड रास तरीका अछि । अहां सभ अपन सुविधा अनुसार एकर सेवन कअ सकैत छी ।