देश के पहिल चीफ ऑफ डिफेंस स्टाफ (सीडीएस-CDS) जनरल बिपिन रावत नय रहलाह । 8 दिसंबर कअ तमिलनाडु के कुन्नूर में एकटा हेलिकॉप्टर हादसा भेल जाहि में हुनकर संगे हुनकर पत्नी मधुलिका रावत के हो मृत्यु भेलेन । एकरे संगे संग 11टा अफसर के से हो मृत्यु भेलेन ।ई हादसा में 14टा में स खाली एकटा अछिकारी बचलाह जिनकर इलाज चलि रहल छैन । एकर पुष्टि भारतीय वायुसेना अपन आधिकारिक ट्विटर हैंडल पर केलक ।
उत्तराखंड के पौड़ी में 16 मार्च 1958 के जनरल बिपिन रावत के जन्म भेल रहेन । आ साल 1978 में सेना में शामिल भेल रहैथ । जनरल बिपिन रावत 17 दिसंबर 2016 के जनरल दलबीर सिंह सुहाग के बाद भारतीय सेना केर 27वां सेनाध्यक्ष के काज संभालने रहैथ । 1 जनवरी 2020 के पहिल बेर CDS सीडीएस केर नियुक्ति भेल रहलाह । ई जिम्मेदारी जनरल बिपिन रावत के भेटल रहेन ।
