मधुबनी रहनिहार डॉ. वीरेन्द्र झा ( वीरू झा ) के भेटल साहित्य अकादमी बाल साहित्य पुरस्कार

मधुबनी जिला के दुल्लीपट्टी गाम रहनिहार डॉ. वीरेन्द्र झा के हुंनकर किताब मैथिली बालकथा संग्रह ‘उड़न-छू’ के लेल साहित्य अकादमी बाल साहित्य पुरस्कार भेटलेन । एकर जानकारी अकादमी केर सचिव श्रीनिवास राव आ अकादमी में मैथिली भाषाक प्रतिनिधि डॉ. अशोक अविचल देलाह । बाकी ई सूचना सं पूरा गाम में खुशी के माहौल अछि ।  

डॉ. वीरेन्द्र झा मधुबनी आ जयनगर कोर्ट में वकालत करैत छथि । आ हुनकर एखन तक 20टा किताब प्रकाशित भ चुकल छैन । जेकरा में पांचटा किताब बाल साहित्य अछि। डॉ झा के तीन टा बाल उपन्यास आ एकटा बाल नाटक से हो प्रकाशित छैन । अपने 400 सं बेशी कहानी लिख चुकल छथि । गाम दुल्लीपट्टी आ जयनगर केर इतिहास से हो लिखअ के श्रेय हिनके जाएत अछि ।

error: Content is protected !!