
वरिष्ठ नेता गुलाम नबी आजाद कांग्रेस पार्टी सं इस्तीफा देलाह । आजाद पार्टी के प्राथमिक सदस्यता संगे सभ पद सं अप्पन इस्तीफा देलाह । आजाद कांग्रेस अध्यक्ष सोनिया गांधी के अप्पन 5 पन्ना के इस्तीफा भेजलेन । जेकरा में राहुल गांधी पर सीधा निशाना लगेलाह । बाकी आजाद के पार्टी सं मतभेद बड्ड दिन सं चलैत छलेन । आ ई समय समय पर बाहर देखल गेल छलाह ।
गुलाम नबी आजाद केर जन्म 7 मार्च 1949 क जम्मू कश्मीर के डोडा में भेल रहलेन । आ ई कश्मीर यूनिवर्सिटी सं M.Sc केने छथि । 1970 केर दशक सं कांग्रेस सं जुड़ल छलाह । 1975 में जम्मू कश्मीर यूथ कांग्रेस केर अध्यक्ष बनलाह । आजाद पहिला बेर 1980 में महाराष्ट्र के वाशिम स लोकसभा चुनाव जीतल छलाह । साल 2005 में आजाद जम्मू कश्मीरक मुख्यमंत्री से हो बनलाह । केन्द्र सरकार में से हो मंत्री रहलाह । हिन्कर कांग्रेस पार्टा से गेनाय पार्टी के लेल बड्ड नुकसानदायक बताएल जा रहल अछि ।