दरभंगा के पूर्व जिलाधिकारी अमित खरे बनलाह पीएम के सलाहकार

भारतीय प्रशासनिक सेवा ( IAS) के अधिकारी अमित खरे के प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी के सलाहकार नियुक्त कैल गेल अछि । अमित खरे भारतीय प्रशासनिक सेवा (IAS) के 1985 बैच के अधिकारी छैथ । नवका एजुकेशन पॉलिसी तैयार करअ में हिनकर प्रमुख योगदान से हो अछि । बाकी आईएएस (IAS) अमित खरे 30 सितंबर के उच्च शिक्षा सचिव के पद स रिटायर भेल छलाह । एखन हुनकर नियुक्ति दू साल या फेर अगला कोनो आदेश तक छैन । जेकरा बढ़ाएल से हो जा सकैया । हिनकर डिजिटल मीडिया के लेल नियमावली में बनाव में से हो भूमिका रहल अछि ।

अमित खरे बिहार के सभ स बड़का घोटाला के खुलासा करक लेल से हो जानल जाएत छैथ । तखन ई चाइबासा में उपायुक्त रहेत आ पशुपालन विभाग में घोटाला के उजागर केने रहेथ । ई घोटाला के कारण मुख्यमंत्री लालू प्रसाद यादव के इस्तीफा देवअ के पड़ल रहेन ।

एकर अलावा अमित खरे दरभंगा के जिलाधिकारी से हो रहल छथि । हिनका एखनो दरभंगा  के लोग सभ दरभगा में हिनकर द्वारा केल गेल बिकास काज के लेल याद करैत छैन ।     

बाकी हिनकर पत्नी निधि खरे छथिन्ह । जे से हो आईएएस (IAS)अछिकारी छथिन्ह आ एखन केन्द्र में सचिव के पद पर तैनात छथिन्ह ।

error: Content is protected !!