आईसीसी टी20 वर्ल्ड कप 2021 ( ICC T20 World Cup 2021 ) भारत आ पाकिस्तान के मैच में भारत के शर्मनाक हार भेल अछि । भारत-पाकिस्तान के बीच खेलल गेल मैच में भारत 7 विकेट पर 151 रन बनेलक । जेकर जवाब में पाकिस्तान 17.5 ओवर में बिना कोनो विकेट के नुकसान के 152 रन बना क एकतरफा जीत हासिल केलक । संगे संग अपन विश्व कप अभियान के शानदार शुरुआत केलक । ई मैच दुबई में खेलल गेल छल ।