8 बरख बाद फेर सं चैत्र नवरात्रि के पहिल दिन जनकपुरधाम के लेल ट्रेन परिचालन शुरू भ गेल अछि । ट्रेन एखन जयनगर सं कुर्था तक चलत । आगा एकर विस्तार बिजलपुरा-बर्दीबास तक हैत । दिल्ली में हैदराबाद हाउस सं नेपालक प्रधानमंत्री शेर बहादुर देउबा आ भारतक प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी 12.30 बजे दिन में ट्रेन के हरियरका झंडा देएखा कअ रवाना केलाह । बाकी एकर इतिहास में जाएब त एकर शुरूआत 1937 में भेल रहय। मुदा तखन माल गाड़ी के परिचालन होय छलाह । तखन नैरो लाइन रहय आ भारत में ब्रिटिश राज आ नेपाल में राजशाही छलाह । एहि परियोजना में दरभंगा महाराज कामेश्वर सिंह प्रमुख योगदान केने रहैथ । जयनगर में नेपाल के स्टेशन बनवलाह लगभग 100 एकर जमीन लीज पर महाराज से हो देने रहथिन्ह ।