
कोयला मंत्रालय के मुताबिक एखन संयंत्र के लग कोयला के स्टॉक लगभग 72 लाख टन छय । ओतय कोल इंडिया लिमिटेड (सीआईएल) के लग 400 लाख टन स बेशी कोयला छय जेकरा स बिजली संयंत्र सभ के भेजल जा रहल अछि ।
देश में कोयला के कोनो कमी नय अछि । ई गप्प कोयला मंत्रालय कहलक । आ संगे कोयला मंत्रालय आश्वस्त केलक जे बिजली संयंत्र के मांग पूरा करअ लेल देश में पूरा कोयला अछि । ओतय बिजली आपूर्ति के बाधित होवअ के हल्ला पूरा तरह स गलत कहल गेल ।
कोयला कंपनी सभ के इह साल सितंबर 2021 तक कोयला स बिजली केर उत्पादन लगभग 24 प्रतिशत बढ़ल छय । मंत्रालय के मानल जाए त बिजली संयंत्र में कोयला केर रोजक जरूरत लगभग 18.5 लाख टन के अछि । मुदा एखन रोजाना के कोयलाक आपूर्ति लगभग 17.5 लाख टन अछि । जादे मॉनसून के लेल ई बाधित छलाह । मुदा ई एकटा रोलिंग स्टॉक अछि जेकरा स रोज के लेल सप्लाई कैल जाए छय।
ई साल बेशी बरखा के बादो, सीआईएल (CIL-Coal India Limited) ई बरख बिजली क्षेत्र के 255 मीट्रिक टन स बेशी आपूर्ति केलक जे एखन लेल एच-1 मे सभ स बेशी आपूर्ति अछि ।