प्रधानमंत्री श्री नरेन्द्र मोदी नई दिल्ली में मल्टी-मॉडल कनेक्टिविटी के लेल गतिशक्ति-राष्ट्रीय मास्टर प्लान केर शुभारंभ केलाह । जे एकटा नव शरूआत मानल जा रहल अछि ।एकटा डिजिटल प्लेटफॉर्म ‘गतिशक्ति’ बुनियादी ढांचा केर कनेक्टिविटी परियोजना सभक एकीकृत योजना आ समन्वित कार्यान्वयन के लेल रेलवे आ सड़क मार्ग मंत्रालय संगे 16 टा दोसर मंत्रालय के एक संग लेल जाएत ।
ई भारतमाला, सागरमाला, अंतर्देशीय जलमार्ग, शुष्क/भूमि बंदरगाह, उड़ान आदि एहन अलग अलग सभ मंत्रालय आ राज्य सरकार केर बुनियादी ढांचा योजना सभ के समाविष्ट करत । ई में कपड़ा उद्योग, फार्मास्युटिकल उद्योग, रक्षा गलियारा, इलेक्ट्रॉनिक पार्क, औद्योगिक गलियारा, मत्स्य पालन उद्योग, कृषि क्षेत्र के कवर से हो कैल जैत ।
मल्टी-मॉडल कनेक्टिविटी परिवहन केर एक माध्यम स दोसर माध्यम स लोग सभ, सामान आ सेवा के एकटा एकीकृत आ निर्बाध कनेक्टिविटी प्रदान करत ।
पीएम गतिशक्ति के लक्ष्य ल कअ मुंबई पोर्ट ट्रस्ट मल्टी मॉडल कनेक्टिविटी के बढ़ाव लेल बड्ड परियोजना सभ पर काज क रहल छय । जाहि में पइन आ जमीन पर आधारित दूनु पर काज भ रहल अछि ।

