अप्पन देशक विदेशी मुद्रा भंडार में दू सालक सभ सं बेशी कमी दर्ज कएल गएल अछि । ई गप्प केर जानकारी भारतीय रिजर्व बैंक (आरबीआई) अप्पन रिपोर्ट में देलक । आरबीआई साप्ताहिक आंकड़ाक अनुसार, देशक विदेशी मुद्रा भंडार 19 अगस्त के समाप्त भेल सप्ताह में 6.687 अरब डॉलर सं खइस क 564.053 अरब डॉलर भ गएल अछि । जे दू साल में सभ स कम अछि ।