आमिर खान रहैत ‘हम आपके हैं कौन’ फिल्मक पहिल पसंद

एहि मे कोनो संदेह नय जे सिनेमा ‘हम आपके हैं कौन’ स सलमान खानक कैरियर कए एकटा नव दिशा भेटल रहय । मुदा बड्ड कम लोक के पता छनि जे सूरज बरजात्या अपन फिल्म मे अभिनेता आमिर खान के मुख्य अभिनेता के रूप मे कास्ट करय चाहैत छलाह । ओ अपन फिल्मक भूमिका प्रेमक खातिर आमिर खान लग सेहो गेल छलाह, मुदा किछु कारणवश अभिनेता सिनेमा मे काज करबा सँ मना क’ देलनि। तकर बाद मात्र सूरज बरजात्या अपन फिल्म मे सलमान खान केँ ‘प्रेम’ बनेबाक निर्णय लेलनि । ओहि समय सलमान खान अपन कैरियर मे संघर्षरत छलाह, मुदा एहि एकटा फिल्म हुनका बॉलीवुड के हिट एक्टर बना देलक ।…

error: Content is protected !!