सभक मनोकामना पूर्ण करैत उच्चैठ भगवती


उच्चैठ भगवती

मां जानकी के निवास स्थान मिथिला । राजा जनक केर धरती…जेकर पहचान पान मखान आ माछ सं होएत अछि । एखनक केर मधुबनी जिला स्थित बेनीपट्टी में थुम्हानी नदी केर किनार मां काली के सिद्धपीठ उच्चैठ भगवती स्थित अछि । मां भगवती केर ई निवास स्थान ऐतिहासिक महत्व राखएत अछि । हिनकर आर्शीवाद सs कालीदास महामूर्ख सs महाकवि बनल छलाह।

एतय कारि शिलाखंड पर देवी के मूर्ति बनल अछि आ मां सिंह पर कमल केर आसन पर विराजमान छथि। ओतय माता के खाली कंधा तक के हिस्सा खाली देखाई दय छय़ । सिर नय होएब स हिनकरा छिन्नमस्तिका दुर्गा के नाम सs सेहो जानल जाएत अछि । मां भगवती के मंदिर लग एकटा श्मशान से हो स्थित अछि । जतय एखनो तंत्र साधना कएल जाएत छय। कहल जाय छय कि एतय अदृश्य शक्ति के निवास छथि जकरा महसूस से हो कएल जा सकैया। लोग सभक मान्यता अछि जे एतय आबि वला भक्त के माता मनोकामना जरूर पूरा करय छथिन्ह। तय लs कs हिनका मां दुर्गा के नवम रूप सिद्धिधात्री केर रूप में से हो पूजल जाएत छन्हि।                     

एखनो मंदिर परिसर में महाकवि कालिदास के अंश देलक जा सकएत छय । हुनकर जीवन के  चित्रक माध्यम सs देखाएल गेल अयछ । कहल जाए छय कि महाकवि कालिदास डीह केर मिट्टीक उपयोग जे सभ अप्पन बच्चा सभ के मुंड़न आ जनेऊ संस्कार संगे कुल देवता के स्थापना में करय छथि हुनकर बच्चा सभ के तेजस्विता कालिदास एहन होएत छन्हि ।

ऐहन मानल जाएत अछि कि ई राजा जनक के यज्ञ भूमि से हो रहल छेलाह । ओतेय श्री राम, लक्ष्मण आ गुरू विश्वामित्र के मां दुर्गा केर दर्शन एतय भेल रहेन। कहल त ई हो जाएत अयछ कि ब्रह्मा जी द्वारा सृष्टि के रचना एतय कएल गेल अछि। उच्चैठ भगवती महाकवि विद्यापति, गोनू झा, महर्षि कपिल,कणाद,गौतम जेमिली,विभाण्डक,पुण्डरीक आदि ऋषि मुनि के साधना स्थल रहल अछि।

ऐना तs अप्पन अप्पन मनोकामना लs कs मां केर दरबार में साल भर भीड़ लागल रहएत अयछ मुदा सभ दुर्गापूजा में बेशी भीड़ रहएत अछि । एहि समय में बलि प्रदान कएल जाएत छय आ विशेष पूजा पाठ कएल जाएत छय।   उच्चैठ भगवती स्थान बेनीपट्टी सs लगभग 5 किलोमीटर दूर अछि। एतय सड़क मार्ग सs दरभंगा आ मधुबनी सs बस या फेर टैक्सी लs कs पहुंचल जा सकैया। ओतेय नजदीक रेलवे स्टेशन मधुबनी छय । एतय सs बस आ टैक्सी सेवा लेल जा सकैया। विमान सs जा खातिर पटना एयरपोर्ट सभ सs निकट अयछ । जे लगभग 200 किलोमीटर दूर छय। । पटना सs अहां सभ  दरभंगा,मधुबनी के लेल बस लs सकय छि।

error: Content is protected !!