विद्यापति मंच, सिलीगुड़ी केलक बच्चा सभक सम्मान

विद्यापति मंच,सिलीगुड़ी द्वारा दिनांक 21 अगस्त कअ प्रतिभा सम्मान 2022 केर आयोजन केल गेल । ई आयोजन साहू भवन में केल गेल छलाह । रविवार दिन भेल एहि कार्यक्रम में ई सालक 10वीं आ 12 वीं के परीक्षा में अव्वल अंक स पास होबअ वला बच्चा सभ के सम्मानित कएल गेल अछि । विद्यापति मंच के संचालक बबीता झा कहलखिन्ह जे सभ साल दशम आ द्वादश के परीक्षा में 70 फीसदी स बेशी अंक लाबअ वला बच्चा सभ के सम्मानित कैल जाएत अछि । बाकी मंच के स्थापना 2020 में भेल छल । मंच के उद्देश्य समय समय पर एहन आयोजन करनाय अछि । सभ साल विद्यापति समारोह से हो आयोजन कैल जाएत अछि ।

error: Content is protected !!